एहि संबंध म' महिला केर परिजन सभ अनुमंडल पदाधिकारी क' आवेदन द' कार्रवाई केर मांग केलन्हि अछि। ओतहि देल गेल आवेदन म' पीड़ित महिला के चाचा शैनी टोला निवासी सदानंद ठाकुर कहलनि कि हम सभ प्रसव पीड़ा के बाद अप्पन भतीजी ज्योति देवी क' रातिक करीब दस बजे सिमरी बख्तियारपुर अस्पताल म' भर्ती करेलहुँ। मध्य रात्रि म' प्रसव पीड़ा बढला पर नर्स कक्ष म' सुतल नर्स क' उठेलहुँ। जाहि पर नर्स पांच सौ टाका केर मांग केलीह आर देबा सँ इंकार केला पर हमर भतीजी क' रेफर क' देली आर जहिना सहरसा के लेल रवाना भेलहुँ, कनिके दूरी पर प्रसव पीड़ा बढलैन्ह आर किछे मिनट म' बच्चा जन्म लेलन्हि।
परिजन सभ कहलनि कि जखन ओ सभ वापस अस्पताल घुरि मौजूद चिकित्सक क' मरीज क' भर्ती करबाक लेल कहलन्हि तेँ हुनका भर्ती करबा सँ इंकार क' देलन्हि। ओतहि घटना के बाद भाजपा नेता रितेश रंजन, भाजपा नगर अध्यक्ष संजीव भगत घटना म' लापरवाही बरतै बला नर्स आर डॉक्टर पर कार्रवाई करबाक मांग केलन्हि अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।