नोटबंदी केँ बाद नसबंदी कानून बनेबाक जरूरतः केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह

पटना। 05 दिसम्बर। हिंदु सभ क' बेसी बच्चा पैदा करबाक सलाह देनिहार  केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह आब नसबंदी केँ लेल कानून बनेबाक मांग क' रहल छैथ। गिरिराज सिंह कैल्ह रविवार क' कहलनि कि नोटबंदी केँ बाद देश म' नसबंदी केँ लेल कानून बनायब बेहद जरूरत अछि। गिरिराज बिहार केँ दोसर वरिष्ठ नेता छैथ जे नोटबंदी केँ बाद नसबंदी केर वकालत केलन्हि अछि।

किछ सप्ताह पहिने केंद्रीय मंत्री आर बीजेपी केँ वरिष्ठ नेता संजय पासवान कहने छलाह कि नसबंदी देश केर जनसंख्या नियंत्रण म' मददगार साबित होयत। देश म' जनसंख्या नियंत्रण के लेल समाजक सभ वर्गक लोग क' ऐहिकें अपनेबाक चाहि। गिरिराज कहलनि कि भारत केर जनसंख्या विश्व केर कुल जनसंख्या केँ 16 प्रतिशत अछि आर हर बरख ऑस्ट्रेलिया केर  जनसंख्या केँ बराबर एहिमें बढ़ोत्तरी भ' रहक अछि। देश जनसंख्या विस्फोट सँ जूझि रहल अछि, जाहीकेँ तुरंत नियंत्रित करबाक जरुरत अछि।

एहि बरख अक्टूबर माह म' सिंह कहने छला कि हिन्दु सभ क' बेसी बच्चा पैदा करि देश म' हिन्दू केर जनसंख्या बढेबा पर गंभीरतापूर्वक विचार करबाक जरुरत अछि। ओहि समय सिंह कहने छला की ई विचार किनको आर नहि बल्कि राष्ट्रीय स्वयं सेवक संघ केर मुखिया मोहन भागवत केर अछि, जे पिछला बरख अगस्त माह म' हिन्दु सभ क' बेसी बच्चा पैदा करबाक सलाह देना छलाह।

गिरिराज सिंह बिहार केँ नवादा संसदीय क्षेत्र सँ लोकसभा सदस्य छैथ आर  प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ कट्टर समर्थक आर हिन्दुत्व केर राजनीतिक चैंपियन केर रूप म' मशहूर छैथ।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ