कैंसर अस्पताल केँ निर्माण लेल यज्ञ केर आयोजन

पूर्णिया। 05 दिसम्बर। ऑल वल्ड माँ महारानी ट्रस्ट केर तत्वावधान म' कैंसर हास्पिटल केँ निर्माण लेल रामबाग केँ प्राेफेसर कॉलनी स्थित स्थल लग महालक्ष्मी यज्ञ सह भागवत कथा केर आयाेजन कायल जे रहल अछि। यज्ञ केर माध्यम सँ एकत्रित भेल राशि सँ गरीब कैंसर पीड़ित राेगि सभक  इलाज कराओल जायत, संगहि राेगि सभ क' नि:शुल्क दवा सेहो देल जायत। 

संघ केर सदस्य मुरली सिंह कहला कि एहि यज्ञ केर माध्यम सँ निःसहाय सभ क' मुफ्त चिकित्सा सेवा प्रदान कायल जायत। 4 दिसम्बर सँ 11 दिसम्बर तक भागवत कथा म' आचार्य राजीव ठाकुर महाराज भक्त लोकनिक बीच धार्मिक प्रवचना आर कथा वाचन करता। कार्यक्रम केर उदघाटन जिला जज केर हाथे संपन्न भेल। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ