सहरसा। 05 दिसम्बर। लक्ष्मीनाथ सेवा मिशन केर तत्वावधान म' संतशिरोमणि बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई केँ जन्मोत्सव केर सुअवसर पर बनगाँव स्थित बाबजी कुटी सँ दुपहर 2 बजे सरबा सद्भावना यात्रा क' सदर एसडीओ जहांगीर आलम झंडा देखा रवाना केलन्हि। इ सद्भावना यात्रा बाबा लक्ष्मीनाथ केँ कर्मभूमि बनगाँव बाबाजी कुटी सँ रवाना भ' बाबा लक्ष्मीनाथ केँ जन्मभूमि परसरमा कुटी सांझ 05:30 बजे पहुँचल। जता 1001 दीप प्रज्वलित करि भजन कीर्तन केर भव्य आयोजन कायल गेल।
संतशिरोमणि बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई केर मूल जन्म तिथि विवाह पंचमी अछि। एहि बेर विवाह पंचमी केर सुअवसर पर बनगाँव, चैनपुर आदि गामक युवा लोकनि द्वारा सरबा सद्भावना यात्रा निकालल गेल। एहि मौका पर एसडीओ जहांगीर आलम, जिप सदस्य धीरेंद्र यादव, मुखिया पति भगवान जी झा, सद्भावना यात्रा के संयोजक राहुल झा ,बिल्टू, रवि शंकर झा, सोनू खां, दीपनारायण ठाकुर, नारायण झा ,सहित सैंकड़ों लोग उपस्थित छलाह।
आय 'गोस्वामी लक्ष्मीनाथ स्मृति पर्व समारोह' मनाओल जायत
प्रति वर्ष 5 दिसम्बर क' बाबाजी कुटी बनगाँव केँ प्रांगण म' गोस्वामी लक्ष्मीनाथ स्मृति पर्व समारोह मनाओल जायत अछि। एहि लेल पूरा बाबाजी कुटी प्रांगण क' खास तौर पर सजाओल गेल अछि। हर बरख समारोह केँ उद्घाटन जिला केँ कुनू विशिष्ठ व्यक्ति या पधाधिकारी केर द्वारा कायल जायत अछि। तदुपरांत बहुत रास बुद्धिजीवि सभ द्वारा संतशिरोमणि बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई केर जीवनी, काज, समाजसेवा आदि पर चर्चा कायल जायत अछि। ओहिक बाद मिथिलाक शीर्ष कलाकार लोकनि द्वारा सांकृतिक कार्यक्रम केर आयोजन कायल जायत अछि।
प्राप्त सूचनाक मुताबिक समारोह लेल बाबाजी कुटी बनगाँव केर प्रांगण म' संत खियाली खाँ बंगला पर भव्य स्टेज बनाओल गेल अछि, जाहि स्टेज पर स्थानीय कलाकार सभ द्वारा आय भोरे सँ कीर्तन भजन कायल जे रहल अछि। गोस्वामी लक्ष्मीनाथ स्मृति पर्व समारोह एहि स्टेज पर आय सांझ 4 बजे सँ मनाओल जायत, जाहि लेल बाबा केँ श्रद्धालु लोकनि भोरे सँ एकत्रित भ' रहल छैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।