समारोह में उपस्थित गणमान्य लोकनि समागम केर 13 सूत्री प्रस्ताव पर चर्चा केलन्हि। समागम के 13 सूत्री प्रस्ताव निम्न प्रकारे अछि;
(1) - मिथिला समागम वर्तमान बिहार केँ 24 जिला आ झारखंड केँ 6 जिला कुल 30 जिला क' मिथिला राज्य घोषित करैत अछि।
(2) - मिथिला समागम कोनो संस्था नहि एक मंच थीक आ मंचे रहत, नव संस्था नहि बनत। ई मंच सब मिथिला मैथिल संगठन क' एक सूत्र म' बांधि मिथिला राज्य अभियानक लेल जन चेतना करत।
(3) - मिथिला समागम ओहि दलक नेता के जे मिथिला राज्य क' अपन घोषणा पत्र म' स्वीकार नहि करैत अछि तिनका संपर्क कय समझेबाक बूझेबाक प्रयास करत यदि तकर बादो ओ नेता मिथिला राज्य केर समर्थन नहि करता एहेन नेता के मिथिला म' वहिष्कार करत।
(4) - मिथिला समागम एहेन नेता के चाहे ओ मंन्त्री हो या प्रधानमंत्री जकर पार्टीक घोषणा पत्र म' मिथिला राज्य नहि, मिथिला राज्य अभियानक मंच पर स्वागत नहि करत ।
(5) - मिथिला समागम अपन सभ कार्यक्रम मिथिले के पावन भूमि पर करत।
(6) - मिथिला राज्य अभियानी मिडिया फोटो अखबार पंप आ शो के लेल व्यग्र नहि रहता। आन्दोलन करता मिडिया अपने आप समाचार छापय एहेन आन्दोलन करता।
(7) - अनेको व्यक्ति मिथिला मैथिल मिथिला राज्य आन्दोलनक नाम पर कोनो ने कोनो मिथिलाबाद विरोधी दलक राजनीति कय रहल छथि। मिथिला समागम मंच एहेन व्यक्ति सँ मिथिला हित म' काज करय लेल निवेदन करैत अपन दोहरा चरित्र क' समाप्त करक लेल निवेदन करैत अछि।
(8) - मिथिला समागम के सब कार्यक्रम सादगी सँ होयत। जतय कम सँ कम खर्च पर समागम होयत।
(9) - मिथिला समागम चंदा केर धंधा नहि करत।
(10) - मिथिला समागम म' शामिल सब संगठन अपना के मजबूत करत जनता सँ जूड़त आ मिथिला राज्य अभियान क' लोक प्रिय बनाओत।
(11) - समागम जाति धर्म मजहवी भाषायी उन्माद सँ मिथिला क' मुक्त करैक जनचेतना अभियान करत आ मिथिलावासी एकता मिथिलाबाद के स्थापित करत।
(12) - समागम अंगिका, वज्जिका,जूलही आ अन्य बोली जे मिथिला के तीसो जिला मे बाजल जाईत अछि से मैथिली अछि आ मैथिली पुस्तक साहित्य एकादमी पटना मे सब के मैथिली भाषा के पोथी मानत।
(13) - मिथिला विकास आर मिथिला राज्य आन्दोलन मिथिला के सत्ता द्वारा उपेक्षा के विरुद्ध संघर्ष अछि आ एक दोसर के पूरक अछि । अत: समागम मे शामिल विकास आर राज्य आंदोलनी एक दोसर केर समर्थन करत, आलोचना नहि करत।
आग समागम समारोह मे सभक विचार भेल कि मिथिला समागम द्वारा पारित प्रस्ताव के कार्यान्यन करबाक लेल जिला जिला गाम गाम समागम मिथिला राज्य पर जनचेतना करत। एहि लेल कार्यक्रम के क्रम मे 7-8 जनवरी 2017 क दुलारपुर मे कार्यक्रम आयोजित होयत। जनचेतना अभियान करैत एकर मूल्यांकन आ भाबी कार्यक्रम लेल 2017 मे मिथिला समागम समस्तीपुर मे होयत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।