कोसी आयुक्त कुंवर जंग बहादुर केलन्हि पुस्तकालय केर लोकार्पण

सहरसा। 30 दिसम्बर। सुपर बाजार परिसर मे स्थित नवनिर्मित वाचनालय व पुस्तकालय के जीर्णोद्धार काज के लोकार्पण कोसी आयुक्त कुंवर जंग बहादुर फीता काटी केलन्हि। एहि मौका पर ओ कहला कि जखन एक पुस्तकालय बंद भ' जायत अछि तेँ एक जेल बनबाक रास्ता खुजैत अछि। किएक जे अज्ञानता केर कारण सँ अपराधक मार्ग प्रशस्त होयत अछि। 

पुस्तकालय मे मौजूद पुस्तक सभक उपयोग हर उम्र के लोग अप्पन ज्ञान बढेबाक लेल क' सकैत छैथ। आयुक्त स्थानीय लोग सभ से एहि  पुस्तकालय क' प्रभावशाली ढंग सँ चलेबाक अपील करैत कहलनि कि पुस्तकालय कुनु भी हालत मे बंद नहि होबाक चाहि किएक जे पुस्तकालय बंद भेला से संस्कृति केरविकास बंद भ' जायत अछि। 

ओतहि जिलाधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल कहल कि पुस्तकालय के जीर्णोद्धार काज के लेल कोसी आयुक्त केर महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि।  मनुष्य ताधरि मनुष्य नहि छैथ जाधरि हुनकर बौद्धिक विकास नहि होयत आर बौद्धिक विकास लेल ज्ञान सँ बढ़ी किछु नहि अछि। जे जतेक ज्ञानी छैथ हुनका ओतेक बेसी सम्मान समाज मे भेटैत छैन्ह। पुस्तकालय ज्ञान बढेबाक लेल बहुत जरुरी अछि।

एहि मौका पर आरडीडीई प्रभाशंकर सिंह, जिला शिक्षा पदाधिकारी अब्दुल खालिक, बीएड कॉलेज के प्राचार्य डॉ राणा जयराम सिंह, नगर परिषद के कार्यपालक पदाधिकारी दिनेश राम, प्रमंडलीय पुस्तकालय के प्रथम पुस्तकालय अध्यक्ष वैजनाथ झा, सुरेन्द्र झा गोपाल, प्रो गौतम कुमार सिंह, मनोरंजन सिंह आदि मौजूद छलाह। ओतहि पुस्तकालय के प्रभारी पुस्तकालय अध्यक्ष विजय भुषण निराला कहला कि नवनिर्मित दुइ  मंजिला वाचनालय लगभग 15 लाख व तेरह लाख साठ हजार टाका केर  राशि सँ चहारदीवारी केर निर्माण काज कायल गेल अछि। पुस्तकालय मे पुस्तक सभक रखरखाव व सूचीबद्ध करबाक लेल प्रभाकर कुमार, राजेश कुमार, अमित कुमार, विमल कुमार व राजीव कुमार क' प्रतिनियुक्त कायल गेलन्हि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने