मिथिला समेत पूरा उत्तर भारत में शीतलहर सँ जनजीवन अस्त व्यस्त

सहरसा। 12 दिसम्बर। मिथिला समेत पूरा उत्तर भारत में शीतलहर लगातार जारी रहबाक बिच मौसम विभाग कहने अछि कि पछुआ हवा के कारण अगला 24 सँ 48 घंटा तक पूरा प्रदेश म' शीतलहर जारी रहबाक संभावना अछि। सहरसा जिला म' एहि मौसम के सभसे कम न्यूनतम तापमान 8.7 डिग्री सेल्सियस रिकॉर्ड कायल गेल अछि। 


मौसम विभाग सँ भेटल जानकारी केर मुताबिक पछुआ हवा के कारण मिथिला समेत पूरा उत्तर भारत में शीतलहरी संग जोरदार ठंड अगला 24 सँ 48 तक जारी रहबाक संभावना अछि। पूर्व मध्य रेल के मुख्य जनसंपर्क अधिकारी अरविंद कुमार रजक कहला कि शीतलहरी के देखैत बहुतो रास ट्रेन के रद्द कायल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने