भागलपुर। 16 दिसम्बर। भागलपुर जिला के सुलतानगंज स्थित नाथनगर म' एक सरकारी डॉक्टर क' अपहरण करि फिरौती मांगबाक आरोप म' गिरफ्तार करबाक मामला प्रकाश म' आयल अछि।
अपहरण करि फिरौती मांगबाक आरोप म' बाथ थाना पुलिस कैल्ह गुरूवार दिन सुलतानगंज के नाथनगर स्थित रेफरल अस्पताल के प्रभारी डॉ अनिल कुमार सिंह क' गिरफ्तार केलन्हि अछि। डॉ सिंह केर गिरफ्तारी बरियारपुर स्थित हुनकर निजी क्लिनिक अंकुर नर्सिंग होम से भेल।
बाथ थाना पुलिस कहला कि खानपुर निवासी बबीता देवी पति मुकेश मंडल केर अपहरण करि फिरौती मांगबाक आरोप लगबैत डॉ अनिल कुमार सिंह के अलावा विनोद मंडल उर्फ झिंगला मंडल व तीन अज्ञात के खिलाफ मामला दर्ज करेलन्हि। डॉ सिंह पूर्व म' रेफरल अस्पताल सुलतानगंज म' पदस्थापित छलाह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।