कानपुर ट्रेन हादसा म' लापता अप्पन परिजन केर तलाश म' भटैक रहल छैथ लोग

पटना। 21 नवम्बर। कानपुर म' भेल ट्रेन हादसा सँ पुरा देश दुःखी अछि। देशक कैको शहर सँ लोग अप्पन परिजन केँ खोज म' कानपुर पहुँच रहल छैथ। कानपुर केँ अस्पताल म' इलाज करा रहल मरीज के अलावा अप्पन परिजन केर खोज म' पहुँचल लोगक भीड़ सँ अस्पताल खचाखच भरल अछि। किछ लोगक नाम नहिये पोस्टमॉर्टम लिस्ट म' अछि नहिये घायल सभक लिस्ट म' अछि।

एहि तरहे एक यात्री नाम - अभिनव कुमार, पिता जीक नाम - श्री अनिल झा जे की भोपाल सँ पटना लेल यात्रा प्रारंभ केना छलाह सेहो लापता छैथ। हुनकर परिजन "मिथिला दैनिक" टीम केँ बतेलन्हि की अभिनव कुमार यात्रा केर दैरान पियर रंगक जूता, करिया जरसी पहिरने छलाह हुनका संग म' नीला रंगक बैग छलैन्ह।

यदि किनको "अभिनव कुमार" के बारे म' कुनु तरहक जानकारी भेटा तेँ कृपा करि हुनकर परिजन सँ एहि मोबाइल नम्बर पर सम्बर्क करि।

+91 94725 88172
+91 8586969660
+91 8982221069
+91 7389636168
+91 9630856777

एक नजरि एम्हरो दी - कानपुर रेल हादसा स' ऑनलाइन टिकट बुक करनिहार सबक सीखी, मात्र 1 टक्का म' होयत अछि 10 लाखक बीमा

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने