कानपुर रेल हादसा स' ऑनलाइन टिकट बुक करनिहार सबक सीखी, मात्र 1 टक्का म' होयत अछि 10 लाखक बीमा

पटना। 21 नवम्बर। कानपुर म' हादसा केर शिकार भेल इंदौर - पटना एक्सप्रेस म' सफर करनिहार यात्री म' कुल 410 यात्री ऑनलाइन टिकट बुक करेना छलाह, जाहि म' सिर्फ 209 यात्रि लोकनि IRCTC द्वारा देल जे रहल 1 टक्का केर बीमा लेना छलाह। अपने क' बता दी एहि 1 टक्का केर बीमाक अन्तर्गत दुर्घटना म' मरै बला केँ परिजन क' 10 लाख टक्का भेटैत अछि आर घायल सभ क' ग्रेडेड भुगतान कायल जायत अछि।

गौरतलब अछि कि आईआरसीटीसी वेबसाइट यात्रि सभ क' यात्रा बीमा पसिन करबाक विकल्प दैत अछि।  रेल मंत्री सुरेश प्रभु सेहो एहि स्कीम केर घोषणा केना छलाह। एहि योजना के तहत रेल दुर्घटना म' मरै बला के परिजन सभ क' आर पूरा तरहे दिव्यांग होमै बला यात्री क' 10 लाख टक्का केर मुआवजा देल जायत अछि। ऐहिक अलावा आंशिक दिव्यांग सभ क' 7.5 लाख, अस्पतालक खर्च के लिए 2 लाख तक आर 10,000 शव क' दुर्घटना स्थल से घर तक ल जेबाक लेल देल जायत अछि।

एक नजरि एम्हरो - कानपुर रेल हादसा : एखन धरी 128 केर मौत, 58 शव केर शिनाख्त भेल

ई सुविधा ओहि सभ रेल यात्रि क' देल जायत अछि जे ई-टिकट बुक करैत छैथ। एहि म' लोकल ट्रेन शामिल नहि अछि। एक अधिकारी कहला कि इ प्रीमियम मात्रा 92 पैसे के अछि। यात्रि सभ द्वारा बीमा नहि करेबाक कारण जागरूकता केर अभाव या यात्रि सभक लापरवाही भ' सकैत अछि। एहि बीमा म' सभ क्लास के यात्रि लेल बीमा केँ राशि बराबर अछि आर ई-टिकट बुक करैत काल चेक बॉक्स म' ऐहिक चयन कायल जे सकैत अछि।  

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ