इंदौर - पटना रेल हादसा म' मलबा सँ निकालल गेल आर शब, मृतक केर संख्या 142 भेल
पटना। 21 नवम्बर। कानपुर देहात जिला के पुखरायां म' कैल्ह भेल इंदौर - पटना एक्सप्रेस हादसा केँ बाद मलबा हटेबाक दौरान ओहि सँ नौ आर शव भेटबाक संगे हादसा म' मृतक केर संख्या बाढिकेँ 142 भ' गेल अछि। हादसा के बाद बचाव अभियान हालांकि समाप्त भ' चुकल अछि लेकिन मलबा हटेबाक क्रम एखनहुँ जारी अछि।
कैल्ह रविवार दिन करीब तीन बजे भेल एहि हादसा म' रेलगाड़ी के 14 डिब्बा पटरी सँ उतैर गेल छल। एहि दुर्घटना म' एखन घरी 142 लोगक शव निकालल जे चुकल अछि भारी संख्या म' लोग घायल छैथ। मृतक म' सेँ 110 लोगक पहचान कायल जे चुकल अछि आर 97 शव परिजन क' सौंप देल गेल अछि।
कानपुर के आईजी जकी अहमद कहला कि रेलगाड़ी के जे एक डिब्बा बुरी तरहे क्षतिग्रस्त अछि ओहि म' किछ मानव अंश नजर आबि रहल अछि। एहि डिब्बा म' कियो जीवित नहि बचल छल। आगा ओ कहला की मलबा म' नौ आर शव भेटल अछि। मलबा म' आर शव दाबल होयबाक आशंका से इनकार नहि कायल जे सकैत अछि।
बचाव अभियान खत्म भ' चुकल अछि आर दुर्घटनाग्रस्त डिब्बा सभ क' पटरी सँ हटा देल गेल अछि। हालांकि रेल यातायात पटरिय सभक मरम्मत भेलाक बादे शुरूभ' सहक। फिलहाल एखन रेलवे इंजीनियर मरम्मत के काज म' जुटल छैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।