आकाशवाणी दरभंगा म' राज्य स्तरीय कार्यक्रम समन्वय समिति केर बैसार संपन्न भेल

दरभंगा। 23 नवम्बर। आय आकाशवाणी दरभंगा म' राज्य स्तरीय कार्यक्रम समन्वय समिति केर बैसार आकाशवाणी पटना केँ कार्यक्रम प्रमुख डॉ. किशोर कुमार सिन्हा केर अध्यक्षता म' आयोजित भेल, जाहिमेँ आकाशवाणी पटना, दरभंगा, भागलपुर, पूर्णिया आर सासाराम केंद्र केर  पदाधिकारी गण शामिल भेलाह। बैसार म' पछिला कार्यक्रम सभक समीक्षा आर अगामी प्रसारण केर रणनीति तय कायल गेल। 

आकाशवाणी दरभंगा केँ केंद्राध्यक्ष डॉ. उमाशंकर झा आगंतुक अतिथि सभक स्वागत पुष्प गुच्छ द' केलन्हि। आकाशवाणी पूर्णिया केँ केंद्राध्यक्ष डॉ. प्रभात नारायण झा पूर्णिया केंद्र स्थापना केर रजत जयंती समारोह मनायब जेबाक जानकारी देलन्हि।

एहि बैसार म' भागलपुर केँ कार्यक्रम प्रमुख के.सी सिंहा, सासाराम केँ राजकिशोर,  दरभंगा केँ रणधीर ठाकुर सहित कैको पदाधिकारी उपस्थित छलाह। बैसार म' आकाशवाणी दरभंगा दिस सँ प्रतिभागि सभ क' मिथिला पेंटिंग आर बैग भेंट देल गेलन्हि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ