पूर्णिया। 25 नवम्बर। पुलिस पर गोली चलेबाक आरोपी फरार राहुल आय शुक्रवार क' कोर्ट म' सरेंडर भ' केलन्हि। अपने क' बता दी कि सरेंडर नहि करबाक सूरत म' पुलिस राहुल के घर कुर्की जब्त करबाक लेल पहुँचल छल, लेकिन आब सरेंडर केँ बाद सँ कुर्की केर कार्रवाई क' रोईक देल गेल अछि।
घटना के बारे म' बताओल जे रहल अछि कि ब्रजेश यादव केर पुत्र राहुल अप्पन किछ संगी संग पुलिस पर गोली चलेबाक आरोप म' फरार बताओल जायत छला। पुलिस सरेंडर करबाक लेल आरोपी पर दवाब सेहो बनेलन्हि लेकिन राहुल पुलिस केर समक्ष सरेंडर नहि केलन्हि। लिहाजा कुर्की जब्त केर कोर्ट आदेश देलन्हि। माहौल तनावपूर्ण अछि। गामक लोग पुलिस के काज म' रुकावट देबाक प्रयास क' रहल छैथ। तनावपूर्ण माहौल देखैत अतिरिक्त पुलिस केर व्यवस्था कायल गेल अछि। वज्र वाहन सेहो मौका पर पहुँचल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।