गांजा केर तस्करी म' सहौदर भाई - बहिन गिरफ्तार

समस्तीपुर। 25 नवम्बर।  समस्तीपुर स्टेशन पर आय रेल पुलिस एक सहौदर भाई - बहिन क' संदेह केर आधार पर गिरफ्तार केलन्हि। तलाशी लेला पर एक बैग सँ तीन बंडल म' नुकाओल गांजा बरामद कायल गेल। 

रेल थानाध्यक्ष विनोद राम कहला कि बाजार म' एहि गांजा केर दाम एल लाख सँ बेसी होयत। महिला केँ नाम रजीना खातुन अछि, पुरुष अप्पन नाम  मो. तुलफैन बतौलन्हि। दुनु  समस्तीपुर जिला केँ वारिसनगर थाना अंतर्गत रायपुर गामक मो. मुस्लिम केर पुत्र व पुत्री छैथ। दुनु अमरनाथ एक्सप्रेस सँ गांजा ल' अप्पन गाम बेचबाक लेल ल' जायत छल।

पुलिस बतओलन्हि कि गांजा केर वजन 15 किलाग्राम अछि।  पुलिस के मुताबिक दुनु भाई - बहिन एहि तस्करी के धंधा म' काफी दिन सँ लागल छैथ। हिनका सभ द्वारा गांजा बंगाल सँ कीन समस्तीपुर जिला केँ विभिन्न क्षेत्र म' भेचल जायत अछि।  इम्हर रेल पुलिस केँ डीएसपी अस्मिता सुमन कहला कि एहि रैकेट म' आर लोग शामिल भ' सकैत अछि। जाहिक जांच - पड़ताल कायल जे रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ