BREAKING NEWS : बंदूक केँ बल पर बैंक स' 21 लाख 30 हजार केँ लूट

गया। 25 नवम्बर। बेख़ौफ़ अपराधि सभ मगध मेडिकल थाना क्षेत्र केँ परसावां स्थित मध्य बिहार ग्रामीण बैंक केँ शाखा सँ आय शुक्रवार दिन दहाड़े हथियार केर बल पर 21 लाख 30 हजार टक्का लुइट लेलन्हि।

एहिसंबंध म' प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ करीब ढाई बजे एक पल्सर मोटरसाइकिल पर सवार 3 केर संख्या म' लुटेरा बैंक म' प्रवेश केलन्हि। ओहि वक्त बैंक म' मात्र शाखा प्रबंधक अशोक कुमार भारती आर दुइ ग्राहक  मौजूद छल। लुटेरा हथियार केँ बल पर हुनका सभ क' कब्जा म' करि कैश लूटी फरार भ' गेला। जानकारी केर मुताबिक लुटल गेल रकम म' 1.5 लाख टक्का केँ नबका नोट छल, जखनकि बांकी पुरनका नोट छल। घटना केँ सूचना भेटलाक बाद एसएसपी गरिमा मल्लिक, सिटी डीएसपी आलोक कुमार सिंह सहित अन्य आलाधिकारी बैंक पहुँच मामले केर छानबीन म' जुटल छैथ।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने