डीएम गुंजियाल मध्याह्न भोजन योजना केर समीक्षा करि 12 लाख 88 हजार 8 सौ टक्का बकाया राशि वसूलबाक निर्देश सेहो देलन्हि। संगहि सतरकटैया प्रखंड केँ प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी द्वारा काज म' शिथिलता बरतबाक लेल स्पष्टीकरण माँगलन्हि, प्रखंड केँ 17 शिक्षक केर एक दिनक वेतन स्थगित करबा आर 13 शिक्षक सँ स्पष्टीकरण पुछबाक निर्देश देलन्हि।
राज्य सरकार राज्य केर विभिन्न विद्यालय सभ म' चलाओल जे रहल योजना सभक जांच करबाक जिम्मेवारी जीविका क' सौपना अछि। जीविका द्वारा जिला केँ 286 विद्यालय केर जांच करि डीएम क' रिपोर्ट भेजल गेल छल। ओहि रिपोर्ट केँ आधार पर डीएम एतेक नमहर कार्रवाई केलन्हि।
समीक्षा बैठक म' जिला शिक्षा पदाधिकारी अब्दुल खालिक, वरीय उप समाहर्ता किरण सिंह, डीपीओ संजय सिंह, दिनेश चंद्र देव, पीओ चंद्रप्रकाश डीपीआरओ बिंदुसार मंडल सहित अन्य उपस्थित छलाह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।