जानकारी केर मुताबिक, प्लॉट बीजेपी विधायक दिलीप कुमार जायसवाल, संजीव चौरसिया आर लाल बाबू प्रसाद केँ नाम पर कीनल गेल अछि। चौरसिया इ गप स्वीकार केलन्हि आर कहलनि कि पार्टी केँ केंद्रीय नेतृत्व हुनका पार्टी ऑफिस केर निर्माण लेल जमीन किनबाक लेल कहने छल। ओतहि सुशील कुमार मोदी कहला कि सभ डील पूरा पारदर्शी तरिका सँ भेल अछि।
जेडी(यू) एहि मामला केर न्यायिक जांच केँ संगे - संग जॉइंट पार्लियामेंटरी कमिटी द्वारा पूछताछ केर मांग केलन्हि। पार्टी संदेह जाटौलनि कि मामला काला धन सँ जुडल अछि। पार्टी प्रवक्ता संजय सिंह आर नीरज कुमार कहला कि जमीन केर रजिस्ट्री सँ जुड़ल दस्तावेज देखबाक बाद एहेन बुझा रहल अछि कि पार्टी के केंद्रीय नेतृत्व दिस सँ कुनु योजना के तहत इ जमीन किनबाक आदेश देल गेल छल। बीजेपी लाखीसराय जिला म' 6 सितंबर क', मधुबनी आर मधेपुरा म' 14 सितंबर क', किशनगंज आर अरवल म' 19 सितंबर क' जमीन किनने अछि। एहि खरीदारी म' पार्टी कुल 4.7 करोड़ टक्का खर्च केना अछि।
ओनाकि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी एहि मामला म' स्पष्टीकरण द' देना छैथ। हुनकर कहब छैन्ह कि जमीन सभक लेल पेमेंट RTGS द्वारा कायल गेल अछि, जे पूरा तरहे पारदर्शी तरीका अछि। एहि मामला म' कांग्रेस सेहो बीजेपी पर निशाना साधने अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।