दरभंगा रेलवे स्टेशन सs 33 बरखक युवक कs शव बरामद

फाइल फोटो 

दरभंगा।  26 नवम्बर। दरभंगा रेलवे स्टेशन पर शुक्र दिन राइत एक रेलगाड़ी सs 33 बरखक युवक के शव जीआरपी बरामद कैल्क।  मृतक क' पहचान पत्रक आधार पर हुनक पहचान मधुबनी जिला कs विस्फी थाना अन्तर्गत परबतिया ग्राम निवासी स्व लालबाबू क' पुत्र मो. चाँद के रूप में भेल।  ओ दिल्ली स आबि रहल छल।  मृतक के परिजन कहला कि ओ बीमार छल , दिल्ली में चाँद के दोस्त ट्रैन मे बैसा देला। 
जीआरपी थानाध्यक्ष एन. के. सिंह कहल कि शव के पोस्टमार्टम करे के लेल डीएमसीएच पठा देल अछि।      

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ