सहरसा। 15 नवम्बर। बहुमुखी प्रतिभा केँ धनी रूपम कुमारी, पिता- स्व. संतोष मिश्र, बाबा- स्व. विश्वनाथ मिश्र, ग्राम चैनपुर, जिला - सहरसा क' बिहार शिक्षा परियोजना द्वारा आयोजित शिक्षा दिवस 2016 केँ कविता लेखनी म' पूरा बिहार म' प्रथम स्थान प्राप्त भेलन्हि।
रूपम शुरूवे सँ मेधावी छलीह, ओ पढाई म' अव्वल होयबाक संगे - संग रचनात्मक काज म' सेहो सदिखन आगू रहैत छली। हुनकर प्रतिभा क' निखारबा म' नीलकंठ बालिका मध्य विद्यालय चैनपुर केर प्रधानाध्यापक श्री संतोष ठाकुर जीक बहुत योगदान छलैन्ह। श्री संतोष ठाकुर जी गुरू केर संगे - संग अभिभावक केर फर्ज सेहो निभेलन्हि। श्री निरंजन ठाकुर (अमेरिका) सेहो रूपम क' लक्ष्य तक पहुँचबा म' पूरा सहयोग केलन्हि।
चैनपुर गामक नाम राज्य स्तर पर उँच करबाक लेल समस्त ग्राम वासी आय अपना आप क' गौरवान्वित महसूस करैत छैथ। पूरा ग्राम वासी क' रूपम कुमारी एहेन बेटी पर नाज छैन्ह। आय रूपम कुमारी देखा देली कि बेटी सेहो दुनियाँक संग डेग सँ डेग मिला छैल सकैत छथि।
चैनपुर धरती रत्नगर्भा अछि, एहिठाम एक सँ एक इतिहास रचनिहार जन्म लेलाह, ओहि कड़ी क' बहुत रास असुविधा केँ बादो रूपम कुमारी आगू बढ़ेली जाहि सँ पूरा ग्राम वासी बहुत खुश छैथ।
रूपम कुमारी क' एहि उपलब्धिक लेल "मिथिला दैनिक" परिवार दिस सँ अनेकानेक शुभकामना आर बधाई।

एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।