सहरसा। 17 नवम्बर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जिलावार निश्चय यात्रा के क्रम म' सहरसा सेहो पहुंचता। जाहिक तिथि एखन धरी तय नहि भेल अछि मुदा तैयारी शुरू भ' गेल अछि। जिलाधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल अधिकारि लोकनि क' साथ सात निश्चय कार्यक्रम केर समीक्षा बैठक करैत सभ लंबित मामला क' तेजी सँ निपटेबाक निर्देश देलन्हि।
गुंजियाल कौशल विकास केंद्र द्वारा संचालित कायल जे रहल सभ योजना पर तेजी सँ काज करबा सहित आर्थिक हल - युवा सभक बल, हर घर नल केर जल, शौचालय निर्माण केर सेहो समीक्षा केलन्हि।
डीएम शराबबंदी अभियान के तहत अवैध रूप सँ शराब केर कारोबार करनिहार लोग सभ क' पकड़बाक लेल छापामारी अभियान तेज करबाक निर्देश देलन्हि। बैठक म' उप विकास आयुक्त दारोगा प्रसाद यादव, पुलिस अधीक्षक अश्वनी कुमार, ओएसडी अनिल कुमार पांडेय, वरीय उप समाहर्ता सुनील दत्त झा, सिविल सर्जन डॉ. अशोक कुमार सिंह, डीपीआरओ बिंदुसार मंडल सहित अन्य अधिकारी मौजूद छलाह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।