18 नवम्बर क' "रमेश झा विचार मंच" केर तत्वावधान म' श्रधांजलि सभा केर आयोजन होयत

सहरसा। 03 नवम्बर। [राहुल बनगाँव] पंडित रमेश झा विचार मंच केर तत्वावधान म' सहरसा जिला केँ बनगाँव गाम म' कैल्ह साँझ 8 बजे युवा समाजसेवी श्री मिहिर कुमार झा केर अध्यक्षता म' एक बैसार केर आयोजन भेल। बैसार म' उपस्थित गणमान्य लोकनि द्वारा बहुत रास विषय पर चर्चा भेल, जाहि म' सर्वसम्मति सँ इ निर्णय लेल गेल कि बनगाँव केर जतेक स्वत्रंता सेनानी छला सभक परिवार क' पंडित रमेश झा विचार मंच  द्वारा सम्मानित कायल जायत, संगहि आगामी 18 नवम्बर दिन श्रधांजलि सभा केर आयोजन कायल जायत।

पंडित रमेश झा विचार मंच के सचिव श्री राहुल झा (बिल्टू) कहला कि आगामी 18 नवम्बर दिन श्रधांजलि सभा म' पंडित रमेश झा केँ सुपुत्र   आर सहरसा के पूर्व विधायक जे की एखन अस्वस्थ छैथ ओहो उपस्थित रहता संगहि श्रधांजलि सभा म' कैको मंत्री लोकनि सेहो उपस्थित रहता।  बैसार म' राहुल झा, नितीश कुमार मिश्रा, सुनील झा, आशीष मिश्रा, अमित झा, मो. शाहिद, राजेश पासवान सहित बहुत रास ग्रामीण उपस्थित छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ