पूर्णिया केँ धमदाहा प्रखंड म' आधार कार्ड निर्माण एजेंसी केर लापरवाही सँ एक दिन म' जनमल पांच हजार बच्चा

पूर्णिया। 26 नवम्बर। आधार कार्ड निर्माण म' लागल एजेंसी केर लापरवाही पांच हजार सँ बेसी बच्चा केर भविष्य संकट म' ध देना छैन्ह।  धमदाहा प्रखंड केँ विष्णुपुर संकुल अतंर्गत आबै बला विद्यालय सभक पांच हजार बच्चा केँ आधार कार्ड एकहि जन्म तिथि द' बना देल गेल छैन्ह। एहिसँ छात्रवृत्ति केर अलावा आन सभ सुविधा म' लाभ उठेबा म' बच्चा सभ क' परेशानी भ' सकैत छैन्ह। बच्चा सभक अभिभावक बच्चा केँ भविष्य लेल चिंतित छैथ। 

विष्णुपुर संकुल संसाधन केंद्र अंतर्गत 18 प्राथमिक आर मिडिल स्कूल अछि। एहि स्कूल म' आठ हजार सँ बेसी छात्र/छत्रा शिक्षा ग्रहण करैत छैथ। सरकार केँ निर्देशक बाद सभ छत छात्रा केरआधार कार्ड बनाओल गेल। करीब छह हजार स्कूली बच्चा भवानीपुर स्थित आधार पंजीकरण केंद्र पर अप्पन आधार कार्ड बनेबाक लेल आवेदन देलन्हि।

आधार कार्ड बनबै बला एजेंसी करीब पांच हजार स्कूली बच्चा केँ जन्मदिन 1 जनवरी 2001 क' देलन्हि। जाहि कारण सँ आगा चली सभ बच्चा क' परेशानी भ' सकैत अछि। हजारों बच्चा केर जन्मतिथि समान होयबाक कारण सँ एहि बच्चा सभ क' विद्यालय म' नामांकन केँ संग छात्रवृत्ति लेल बैंकों म' खाता खुजेबा दिक्कत भ' रहल छैन्ह। अभिभावक सभक कहब छैन्ह कि उक्त एजेंसी केर लापरवाही केँ कारण सभ बच्चा केर  भविष्य खराब भ' सकैत अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ