जिनका खाता नहि छैन्ह हुनको बैंक क' देबा परतैन्ह डेबिट कार्ड

नई दिल्ली। 26 नवम्बर। भारत सरकार दिस सँ सभ बैंक क' निर्देश देल गेल अछि कि जिनका बैंक खाता नहि छैन्ह लेकिन हुनका लग आधार कार्ड या कुनु भी वैध पहचान पत्र छैन्ह हुनका प्री रिचार्ज डेबिट कार्ड मुहैया कराओल जाय। अपने क' बता दी कि 500 आर 1000 टक्का केँ पुरनका  नोट बंद भेलाक बाद नरेंद्र मोदी सरकार प्लास्टिक मनी क' बढ़ावा देबाक सभ ऑप्शंस पर काज क' रहल अछि। ऐहिक तहत यदि किनको लग बैंक खाता नहि छैन्ह तयो बैंक हुनका डेबिट कार्ड देत। सरकार केँ निर्देश पर जल्दे सभी बैंक ई सुविधा उपलब्ध कराओत। एहि क' प्री रिचार्ज डेबिट कार्ड सेवा केर नाम देल गेल अछि। एहि कार्ड म' एक तय राशि तके पैसा जमा होयत। लोग ऐहिक इस्तेमाल प्लास्टिक मनी केर तौर पर क' सकता।

केन्द्रीय वित्त मंत्रालय दिस सँ इयो कहल गेल अछि कि यदि कुनु व्यक्ति केँ परिवारक कुनु भी सदस्य लग बैंक खाता होय तेँ हुनक कार्ड क' लिंक करि जिनका नहीं छैन्ह हुनका कार्ड देल जाय। ऐहिक लेल कार्ड प्राप्त करनिहार व्यक्ति क' एक आवेदन देबा परतैन्ह। मंत्रालय केर अधिकारी केँ मुताबिक एहि योजना केँ तहत एक खाते पर अधिकतम पांच कार्ड जारी कायल जायत। ऐहिक संगेनाबालिग क' सेहो प्री रिचार्ज डेबिट कार्ड देबा क' मंजूरी देल गेल अछि। हालांकि, कार्डक रिचार्ज करबाक अधिकतम या न्यूनतम सीमा एखन धरी तय नहि कायल गेल अछि, जाहि क' बाद म' निर्धारित कायल जायत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ