गया। 15 नवम्बर। राज्यक' कानून-व्यवस्था कs जिम्मेदारी पुलिसकर्मि के कान्हा पर होयत अछि , आम जान के सुरक्षा करब आ राज्य के सुरक्षित राखब प्रमुख होयत अछि । बिहार के पुलिसकर्मी एही के आलावा एकटा आर जिम्मेदारी निभा रहल छैथ। इ जिम्मेदारी सड़क पर कूड़ा उठाबा वाला बच्चा के पढ़ाबेक' अछि। राज्य के गया जिलाक' प्रवीण कुमार बच्चा के लेल पुलिस नै बल्कि हुन्कर मास्टर छैथ। प्रवीण एही बच्चा सब के शिक्षित करि हुनक जीवन संवारा चाहैत छैथ । प्रवीण कुमार कहला कि हमरा एही बच्चा सब के शिक्षित करबाक निर्देश भेटल अछि । एही के अलावा डीएसपी आर इंस्पेक्टर सेहो बच्चा सब के पढ़ा रहल छैथ। प्रवीण के ‘स्टूडेंट’ सुमन के कहब छैन कि हम कूड़ा बिना वाला छी लेकिन हम आब एहिठाम पढ़ाई करि रहल छी। हम एक दिन पुलिस सेवा में जाए चाहैत छी ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।