नई दिल्ली। 15 नवम्बर। वित्त सचिव शक्तिकांत दास बार बार नोट बदल पर सख्ती देखैला । मंगलवार क़ शक्तिकांत दास नोट बदल के लेल नया नियम बतैला। आब बैंक सs कैश लेबा वाला के इंक सs निशान लागैल जाएत । जैना वोट के बाद निशान लागैल जाइत अछि ओहि प्रकार के निशान लगाएल जैत । एहन देखबा में आबि रहल अछि कि किछु गोटे बैंक में बार बार नोट बदला आबि रहल छैथ जाहि के कारन एही प्रकारक फैसला लेल गेला । धार्मिक संस्था सब के सेहो अपील कैल गेला कि वो जल्द स जल्द दान में भेटल छोट नोट बैंक में जमा करैथ ।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।