आय तेसर दिन सेहो नोट बदलबाक लेल काफी नमहर कतार

पटना। 12 नवम्बर। एक - एक द‌िन बितबाक संगे संग लोग सभ लग जमा  फुटकर पैसा खत्म होयत जे रहल अछि, लेक‌िन बैंक सभ म' नमहर कतार आर एटीएम के हालात देखैत किम्हरो सँ राहत केर कुनु गुंजाइस देखार नहि द' रहल अछि। आय श‌निवार क' लगातार तेसर दिन राजधानी पटना सहित देश केँ सभ बैंक म' भोरे सँ कतार लागब शुरू भ' गेल छल। सबसे बेसी भीड़ स्टेट बैंक ऑफ इंडिया, पंजान नैशनल बैंक, आईसीआईसीआई बैंक आर आन सरकारी व निजी बैंक म' छल।

अपने क' बता दी कि रिजर्व बैंक आर सरकार केँ घोषणाक बावजूद कैल्ह शुक्रवार तक सभ एटीएम बंद छल, एक - आध यदि खुजल तेँ ओहि में पाई नहि छल। आय शनिवार क' जखन एटीएम खुजल तेँ भोरे सँ पैसा निकालबाक लेल लोगक नमहर कतार लैग गेल छल। हालांकि एखन सेहो बहुत रास एटीएम बंद चैल रहल अछि।  जाहिक शिकायत आरबीआई क' सेहो कायल गेल अछि। देश भरी म' एटीएम या तेँ बंद अछि या आउट ऑफ सर्व‌िस बता रहल अछि।

आय तेसर दिन सेहो बैंक म' भीड़ के हालात जस के तस छल। लोग भोरे सँ  कतार लगा अप्पन नम्बर अएबाक इन्तजार करैत देखार देला।लेक‌िन भीड़ होयबाक चलते लोग सभ क' पांच-पांच घंटा कतार म' ठाढ़ रहे पड़लन्हि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने