सीमा पर शहीद मैथिल पुत्र बिकाश मिश्र के नम आँखि स देल गेल श्रधान्जली


दरभंगा। 12 नवम्बर। भारत - पाकिस्तान सीमा पर भेल शहीद बिकाश मिश्र कS आत्मा शांति के लेल मिथिला स्टूडेंट यूनियन के द्वारा बिभिन्न जगह पर श्रधांजलि सभा के आयोजन कैल गेल।  संस्थाक बेनीपट्टी इकाई के द्वारा लोहिया चौक बेनीपट्टी पर मौन व कैंडल मार्च निकालल गेल। अविनाश कुमार के अगुवाई में बासोपट्टी टीम के द्वारा सेहो कैंडल मार्च निकैल श्रद्धा सुमन अर्पित कैल गेल।  संगैह दरभंगा अध्यक्ष बिमल झा के नेतृत्व में विश्वविद्यालय चौरंगी पर श्रधांजलि सभा के सेहो आयोजन कैल गेल।  एही मर्माहत घरी में संपूर्ण मिथिलांचल शोकाकुल अछि।  

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ