नवका नोट पर मैथिली भाषा क' स्थान नहि देनाई मैथिल संग धोखा - बीरबल यादव

दिल्ली। 12 नवम्बर। [ रोहित यादव ] मिथिलाराज्य आंदोलनकारी बीरबल यादव केर कहब छन्हि जे सरकार मैथिली भाषा क' नवका नोट पर स्थान नहि द 7 करोड़ मैथिल सभक संगे संग माँ जानकी केर सेहो अपमान केलैन्ह अछि।

सरकार केर एहि वादाखिलाफी केँ निंदा करैत बीरबल जी घोषणा केलैन्ह अछि जे कैल्ह (रवि दिन) दुपहर 12 बजे भारतीय वित्तमंत्री श्री अरुण जेटली केँ आवास पर एहि बातक लेल विरोध प्रदर्शन कायल जायत जाहि मे दिल्ली रहनिहार समस्त मैथिल लोकनि क' संग देबाक हेतु अपील सेहो केलैन्ह अछि।

अपने क' बता दी भारतीय करेंसी यानि भारतीय रुपए केँ नोट पर आन भाषा जोका मैथिली भाषा केर सेहो उपस्थिति दर्ज होयबाक चाही, किएक जे मैथिली भाषा क' सन 2004 म' आठवीं अनुसूचि म' शामिल कायल गेल छल आर किछ मास पहिने केन्द्र सरकार सेहो नोट पर अंकित होमै बला वाक्य क' आठवीं अनुसूचि म' शामिल सभ भाषा म' लिखबाक निर्देश जारी केना छल, बावजूद एकर मैथिली भाषा केर उपेक्षा भ' रहल अछि। एखन फिलहाल भारत के नोट पर केवल 17 भाषा केर प्रयोग होता अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने