नोटबंदी पर पप्पू यादव केर भड़काऊ बयान, कहलनि ATM सँ नहि निकले पाई तेँ लगा दी आइग

बिहारशरीफ। 22 नवम्बर। माधेपुर केँ सांसद आर जन अधिकार पार्टी केर मुखिया राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव नोटबंदी पर विवादित बयान देलन्हि। नोटबंदी सँ नाराज पप्पू यादव भड़काऊ बयान दैत कहलनि कि यदि एटीएम सँ पाई नहि निकले तेँ आइग लगा दी।

बिहारशरीफ म' एक कार्यक्रम केर दौरान पप्पू यादव कहलनि कि सरकार द्वारा नोटबंदी केर फैसला बिल्कुल गलत अछि। नोटबंदी सँ किसान आर आम जनता सभ परेशान भ' रहल छैथ। अप्पन विवादित बयान केर कारण सँ चर्चा म' रहे बला पप्पू यादव कहलनि कि यदि एटीएम मशीन सँ पाई नहि निकले आर ओ बेकार साबित हुवे तेँ ओहि म' आइग लगा दी। 

आगा ओ कहलनि कि नोटबंदी केर कारण सँ किसान सभ क' फसल उत्पादन केर नीक दाम नहि भेट रहल छैन्ह। नोटबंदी सँ नीक होयत जे  सभ राजनीतिक दल क' आरटीआई केर दायरा म' आनल जाय। सांसद यादव कहलनि कि जखन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आम लोग से शराब के कारोबार क' लाठी - डंडा स' नष्ट करबाक आह्वान करैत छैथ, तेँ किएक नहि जे बैंक व एटीएम ग्राहक क' टक्का नहि द रहल अछि ओकरा आगिक हवाले कायल जाय।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ