आब पक्का घर म' कटत पीड़ित केँ दिन : सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव

मधेपुरा। 21 नवम्बर। सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कैल्ह बुधमा पंचायत केँ औराय गाम क' गोद लेलन्हि। पप्पू यादव एहिठामक महादलित सभ क' कैको प्रकार केर सुविधा देबाक घोषणा केलन्हि। पप्पू यादव कहलनि कि एहि गाम म' जल्दे पक्का मकान सहित शौचालय, स्नानागार आदि केर व्यवस्था कायल जायत। इ लाभ ग्रामवासी क' सुभाष चंद्र आवास योजना के तहत भेटतैन्ह। 

सांसद यादव कैल्ह रविवार रात्री उदाकिशुनगंज थाना क्षेत्र के बुधमा पंचायत अंतर्गत औराय नवटोलिया पहुंची ऐगलग्गी म' दबंग सभ द्वारा जलाओल गेल महादलित सभक घर केर स्थिति देखि क' ई घोषणा केलन्हि। आगा ओ कहलनि कि घटना काफी दुखद अछि। 18 महादलि सभक घर जलाओल गेलन्हि जे अति निंदनीय अछि। जमीन विवाद केर कारण घर क' आगिक हवाले क' देब अन्याय थीक। 

पप्पू यादव राज्य सरकार पर निशाना साधैत कहलनि कि लालू - नीतीश महादलित सभक हिफाजत करबा म' नाकाम साबित भ' रहल छैथ। महादलित प्रेम सरकार केर महज देखावा अछि। घटना की तीव्र निंदा करैत सांसद कहलनि कि वर्तमान सरकार म' कियो भी गरीब, निसहाय सुरक्षित नहि रहिगेल छैथ। हर तरफ दबंग आर अपराधि सभक बोल बाला अछि। एहि मौका पर सांसद यादव  डीएम मु. सौहेल सँ बात केलन्हि। मौके पर पूर्व प्रमुख जयप्रकाश सिंह, कमलेश्वरी साह सहित बहुत संख्या म' लोग शामिल छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ