दरभंगा। 17 नवम्बर। बिहार सरकार के सात निश्चय म' एक महत्वपूर्ण निश्चय हर घर नल केर जल अछि। एहि निश्चय केर जिम्मेवारी शहर म' पीएचईडी विभाग क' देल गेल अछि। एक दिस जता विभाग खुद जलजमाव सँ सालभरि डूबल रहैत अछि। ओतहि दोसर दिस शहर म' विभागक लापरवाही केँ कारण हर दिन सड़क पर लाखों लीटर पैन बर्बाद भ' रहल अछि। मामले ल'केँ विभाग एको मिसिया गंभीर देखार नहि द' रहल अछि।
शहर के रामानंनदपथ, एमपी मिश्रा चौक, बंगाली टोला, केएम टैंक इत्यादि जगह पर सड़क केर बीचों बीच सप्लाई पाइप म' लिकेज केँ कारण सैकड़ों लीटर पैन सड़क पर बही रहल अछि।
जाहिक लेल स्थानीय लोग सभ कैको बेर विभाग क' आवेदन केलन्हि मुदा स्थिति जस के तस बनल अछि। ओतहि हालही म' शहर के न्यू बलभद्रपुर के रामानन्दपथ मुहल्लाक सरकारी पैन सप्लाई पाइप म' लिकेज होयबाक कारण हर दिन सैकड़ों लीटर पैन केर बर्बादी बीच सड़क पर होयबाक कारण जलजमाव केर स्थिति बैन गेल अछि, कुछ दिन पहिने उक्त मुहल्ला म' सड़क बनेबाक काज शुरू कायल गेल अछि।
मुहल्ला केँ चन्द्र मोहन सिंह कहला कि संबंधित पाइप लिकेज लेल लिकेज बला जगह केर खुदाई पीएचईडी विभाग द्वारा कराओल गेल, मुदा पाइप लिकेजक कारण केर पता लगेना बिना खोधल खधाइर क' बंद करि देल गेल। जाहिक बाद सड़क बनेबाक काज शुरू कायल गेल। सड़क बनबाक बादो उक्त सड़क केर निचा सँ पैन बही रहल अछि, जाहिसँ सड़क केर टुटबाक संभावना लभगभ तय मानल जे रहल अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।