समस्तीपुर जिला के पुनास गाम म' एक किसान परिवार के घर जनमल शिंजनी नौकरी पढ़ाई केँ खर्च पूरा करबाक लेल शुरू केना छली। शिंजनी लखीसराय केँ बालिका विद्यापीठ सँ पढ़ाई पूरा करबाक बाद पटना वीमेंस कॉलेज सँ अंग्रेजी म' स्नातक केलीह। ओहिक बाद दिल्ली यूनिवर्सिटी सँ अंग्रेजी म' एमए आर फेर अमेरिका केँ टेक्सास यूनिवर्सिटी के लिंडन जॉनसन स्कूल सँ पब्लिक पॉलिसी म' एमए केलीह।
यूएसए सँ पढ़ाई पूरा करबाक बाद शिंजनी 1992 म' रिजर्व बैंक ऑफ इंडिया म' डिप्टी जनरल मैनेजर बनली आर 2007 तक एहि पद पर रहली। आरबीआई छोड़बाक बाद 2007 म' अमेरिका केँ वित्तीय संस्था मेरिल लिंच कंट्री कंपलायंस हेड के तौर पर जुडली। ओतहि, अक्टूबर 2010 म' प्राइस वाटर हाउस कूपर्स म' डायरेक्टर केर पद पर पदस्थापित भेली। फिलहाल शिंजनी पीडब्लूसी म' कार्यकारी निदेशक केर पद पर छथि।
शिंजनी आब पेटीएम पेमेंट बैंक केँ सीईओ बने जे रहल छथि। पिछला बरख रिजर्व बैंक रिलायंस, एयरटेल, वोडाफोन, आदित्य बिरला ग्रुप समेत 11 कंपनि क' बैंकिग सेवा शुरू करबाक मंजूरी देना छल। इसी दौरान पेटीएम क' सेहो बैंकिग सेवा लेल लाइसेंस भेट गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।