पुलिस केर अनुसार, मीरपुर पंचायत के मुखिया सिकंदर (50) कुछ लोगक संग ट्रेन पकड़बाक लेल नूरसराय स्टेशन जायत छला। एहि दौरान पहिने सँ बाट जोहि रहल सशस्त्र अपराधिय मुखिया पर हमला क' देलन्हि। गोली लागला सँ सिकंदर केर घटनास्थल पर मौत भ' गेलन्हि, जखनकि एक आन गंभीर रूप सँ घायल व्यक्ति अस्पताल म' दम लोड़लन्हि।
पुलिस केँ एक अधिकारी कहला कि घटना क' अंजाम देलाक बाद अपराधी मोटरसाइकिल पर सवार भ' फारार भ' गेलाह। हमला म'घायल गुलाबी महतो (40) क' इलाजक लेल स्थानीय अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल, जतेँ इलाज केर दौरान हुनकर सेहो मौत भ' गेलन्हि। फिलहाल हत्या केँ कारणक पता नहि चलल अछि। पुलिस मौका पर पहुंच छानबीन शुरू क' देलन्हि अछि। एहि बीच, घटना सँ आक्रोशित लोग शव केँ साथ घटनास्थल लग सड़क जाम करि प्रदर्शन क' रहल छैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।