सासाराम म' पत्रकार केँ गोली मारी हत्या

सासाराम। 12 नवम्बर। सासाराम म' अपराधि सभ दैनिक भास्कर हिंदी दैनिक के पत्रकार (ब्यूरो चीफ) धर्मेन्द्र सिंह क' गोली मारी हत्या क' देलन्हि। घटना सासाराम मुफस्सिल थाना के अमरा तालाब के अछि। बताओल जे रहल अछि कि आय भोर ओ अप्पन घर लग चाय केँ दोकान पर चाय पिबैत छला तखने एक मोटरसाइकिल पर सवार तीन हथियारबंद अपराधि हुनका छाती पर गोली माइर देलन्हि।

स्थानीय लोग सभ हुनका तुरंत सासाराम के सदर अस्पताल ल' गेलन्हि  लेकिन चिकित्सक सभ उक्त पत्रकार केँ प्राथमिक उपचार केलाक बाद हुनक नीक  इलाज लेल वाराणसी रेफर क' देलन्हि, वाराणसी जाय केर क्रम म' रस्ते म' हुनकर मृत्यु भ' गेलन्हि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ