~ एम्हर सुनह हउ बचा
~ हं कक्का ! कि भेल कहु ?
~ हउ तोरा सबदिन गामहि मे देखैत छियह ?
~ हम गामहि मे रहिते छी त किआक ने देखबय ?
~ मुदा तूं एखन करैत कि छऽ एतय !
~ से तऽ अहाँ'क सोंजहि मे छी , देखिए रहल छी डालना परसि रहल छी ( भोज मे ) सें !
~ नय - नय हमर कहक भाव छल जे तों एखन धड़ि गाम मे कि करैत छहक ?
~ बहुत रास काज समाजिक संऽ लऽ परिवारिक काज धड़ि !
~ ओह ! हमर कहवाक इ तात्पर्य जे पढ़वो - लिखवो करैत छहक कि ? ओन्हिए
~ हं ! पी०एचडी० कऽ रहल छियै एखन !
~ अच्छऽ ! मैट्रिक मे कोन डिविजन संऽ पास केने छलह ?
~ थर्ड डिविजन कक्का !
~ आब कहऽ जाँउ मैट्रिक नीक डिविजन संऽ पास केने रहितऽ त एखन धरि कतहु नोकरी लागल रहितऽ ! इ पी०एचडी० करवाक कोन काज छलह से कहऽ ? जे बुड़िबक होइत अछि से सब करय य इ सब कि बुझलहक कि ने ?
~ जखन बुड़िबक छी तऽ बूझबय कोना ?
वी०सी०झा"बमबम"
कैथिनियाँ

एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।