मिथिलाक लाल अनुभव बनला कंबाइंड डिफेन्स सर्विसेज कs टॉपर


मधुबनी।  21 नवम्बर।  कंबाइंड डिफेन्स सर्विसेज कs परीक्षा में अनुभव मिश्रा पूरा देशक टॉपर बनि गेला। अनुभव धनबाद में रहैत छैथ। ओ मुल रूप सs मधुबनी जिला कs झंझारपुर क निवासी छैथ।  सीडीएस क' परीक्षा यूपीएससी द्वारा लेल जाइत अछि। आईआईटी कानपुर सs एयरोस्पेस में इंजीनियरिंग करि रहल अनुभव कहला देश क' सेवा करे के लेल डिफेंस में जैबाक इच्छा छल । इ हमर व्यक्तिगत फैसला छल आर परिवार के तरफ सs पूर्ण सहयोग भेटल

अनुभव कहला कि देश भरि सs 126 छात्रक चयन कैल गेल अछि। एही में सs इंडियन मिलट्री एकेडमी में 31 छात्रक चयन भेला। आब इंजीनियरिंग कs पढ़ाई छोडी जनवरी में शुरू भ रहल ट्रेनिंग में हिस्सा लेबाक लेल देहरादून जैता। पिता भक्तिनाथ मिश्रा कहला कि अनुभव हमर परिवारक' पहिल व्यक्ति अछि जे डिफेंस में जा रहल अछि । सम्पूर्ण मिथिला वासी के अनुभव के ऊपर गर्व अछि संगैह हिनक उज्जवल भविष्य के कामना करैत अछि।  




Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने