पृथक मिथिला राज्य केँ मांग करनिहार दुई संगठन ABMP आर MRNS म' शुरू भेल अंदरूनी बबाल

दरभंगा। 11 नवम्बर। सुचनाक मुताबिक़ पृथक मिथिला राज्य सँ सम्बंधित दुइ गोट खबैर आइब रहल अछि। पहिल ई कि अखिल भारतीय मिथिला पार्टी (ABMP) केर राष्ट्रीय अध्यक्ष शिलानाथ मिश्र कैल्ह गुरूवार दिन पार्टी विरोधी गतिविधि केर आरोप म' पार्टी केँ राष्ट्रीय महासचिव रत्नेश्वर झा क' पार्टीक पद आर साधारण सदस्यता सँ 6 बरखक लेल निलंबित कएलन्हि। हुनका पर अपने मोने पार्टीक सब तरहक इकाई क' भंग करबाक फुईस खबैर पार्टीक पदासीन आर सदस्य सभ क' सूचित करबाक दोष छैन्ह। 8 नवम्बर दिन मिथिला राज्य निर्माण सेना (MRNS) द्वारा आयोजित राष्ट्रीय अधिवेशन म' रत्नेश्वर झा केर उपस्थिति सेहो अहि निलंबन केँ कारण भ सकैत अछि। ओना तेँ लिखित तौर पर ऐहिक पृष्टि नहि भेल अछि, मुदा इ गप सोशल मिडिया पर खूब ट्रेड क' रहल अछि।

रत्नेश्वर झा केर निलंबन केँ विरोध चहुओर देखार द' रहल अछि। सभक मुंहे बस एतबे सुनल गेल कि बिना कारण बताऊ विज्ञप्ति देना किनको कोना निलंबित कायल जे सकैत अछि, जखन की रत्नेश्वर झा धरातल पर पृथक मिथिला राज्य अभियानक संगे संग अखिल भारतीय मिथिला पार्टी क' मजबूत करबा मेँ अहम किरदार निभेने छैथ। अधिकारिक तौर पर हुनक निलंबन केँ पृष्टि एखन धरी नहि भेल अछि, मुदा सोशल मिडिया केर  हलचल बता रहल अछि कि ई सत्य गप थीक।

दोसर खबैर ई कि 8 नवम्बर दिन मिथिला राज्य निर्माण सेना (MRNS) द्वारा आयोजित राष्ट्रीय अधिवेशन,
MRNS पदाधिकारी आर आम सदस्य सभक बिच एक बबाल ठाढ़ क' देना अछि। एक दिस पदाधिकारी लोकनि एहि अधिवेशन केँ सफल करार देलनि, तेँ दोसर दिस आम सदस्य एहि अधिवेशन केँ असफल करार दैत पदाधिकारी लोकनि पर कैको आरोप लगेलन्हि। आम सदस्य लोकनि एहि अधिवेशन क' "चंदा केँ धंधा" नाम दैत आरोप लगेलन्हि की जे संगठन अधिवेशन म' 500 मिथिला राज्य अभियानी क' एकत्रित नहि क' सकैत अछि ओहि संगठन सँ केहेन उम्मीद कायल जे सकैत अछि, संगहि हुनका सभक आयोप छैन्ह की अधिवेशन म' आमदनी - खर्च केर पारदर्शिता नहि अछि। पदाधिकारी लोकनि कुनु गप साफ नहि क' रहल छैथ नहिये सदस्य द्वारा पुछल गेल सवाल केँ जबाब द' रहल छैथ।

आलम इ कि जाहि व्हाट्सऐप ग्रुप केर माध्यम सँ एहि अधिवेशन केर सूत्र तैयार कायल गेल छल सभ पदाधिकारी लोकनि ओहि ग्रुप सँ लेफ्ट ल' अलग ग्रुप बना लेलन्हि अछि। पदाधिकारी सभक कहब छैन्ह कि बीनू बुझने आरोप-प्रत्यारोप केर कारण सँ सभ कियो लेफ्ट लेलन्हि। MRNS केर नव कार्यकारिणी आगाँक 2 बरिख लेल बनाओल गेल अछि। जाहि केर उद्देश्य मिथिला केर माँग केँ जन जन धरि पहुंचायब संगहि 2019 केर लोकसभा चुनाव सँ पहिने आंदोलन क' मिथिला म' पूर्णतः विकसित करबाक लक्ष्य अछि।  

एक टिप्पणी भेजें

1 टिप्पणियाँ

  1. एहि प्रकार क घटना नव नहि। मैथिल कतेक कतहु एक संग रहत... एखनहुँ पार्टी विसर्जित कय अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद् क द्वारा राज करथि जे 1992 स लगातार काज कय रहल अ़छि,

    जवाब देंहटाएं

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।