
पटना। 21 नवम्बर। बिहार केँ महागंठबंधन सरकार अप्पन एक बरख पूरा होयबाक उपलक्ष्य म' आय सोमवार क' अप्पन रिपोर्ट कार्ड जारी क' देलन्हि। रिपोर्ट कार्ड केर मुताबिक़ राज्य म' कानून केर राज कायम कायम भेल अछि आर शराबबंदी सँ सूबे म' हालात बहुत सुधरल अछि। संगहि राज्य केर चौमुखी विकास भ' रहल अछि।
असल म' रिपोर्ट कार्ड कैल्ह रविवार क' जारी कायल जेबाक छल, मुदा इंदौर - पटना एक्सप्रेस हादसा केँ बाद रिपोर्ट कार्ड जारी करबाक समारोह बिहार सरकार टाली देलन्हि। आय सोमवार क' नीतीश सरकार बगैर कुनु समारोह के अप्पन सरकार केँ एक बरखक लेखा - जोखा यानि रिपोर्ट कार्ड सूचना एवं जनसंपर्क विभाग केर वेबसाइट पर द देलन्हि। जाहि केँ एहि लिंक पर देखि सकैत छी: [ बिहार सरकार रिपोर्ट कार्ड - हिंदी ], [ बिहार सरकार रिपोर्ट कार्ड - इंग्लिश ]
महागठबंधन सरकार केँ रिपोर्ट कार्ड म' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सात निश्चय आर शराबबंदी क' प्राथमिकता देल गेल अछि। अपने क' बता दी कि महागठबंधन सरकार एहि महीने केँ 20 तारीख क' अप्पन एक बरख पूरा केलन्हि। लगभग 150 पन्ना के रिपोर्ट कार्ड म' विभाग सभक हिसाब सँ काज आर उपलब्धि देखाओल गेल अछि। सरकार केँ तरफ सँ रिपोर्ट कार्ड जारी करबा सँ पहिने विपक्ष सेहो बिहार सरकार केँ रिपोर्ट कार्ड जारी करि सरकार क' घेरलन्हि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।