जिनका घर शादी - बियाह छैन्ह, आब बैंक सँ 2 . 5 लाख टक्का निकैल सकैत छैथ

नई दिल्ली। 17 नवम्बर। आखिरकार केंद्र सरकार हुनका सभ क' राहत देलन्हि, जिनका घर शादी - बियाह छैन्ह। नोटबंदी केर कारण लगन केँ मौसम म' देश भरी म' शादी - बियाह बला घर म' बड्ड परेशानी भ' रहल छलैन्ह। एहि परेशानी केर हल निकालबाक लेल केंद्र सरकार किसान, व्यापारिय आर जिनका घर शादी - बियाह छैन, हुनका राहत देना अछि।

आर्थिक मामला के सचिव शक्तिकांत दास कैल्ह गुरुवार क' नई दिल्ली म' एलान केलन्हि कि आब किसान सप्ताह म' 25 हजार टक्का, मंडी व्यापारी 50 हजार टक्का निकैल सकैत छैथ। शक्तिकांत दास कहला कि जिनका घर शादी - बियाह छिन्ह, ओ 2.5 लाख टक्का तक निकैल सकैत छैथ। ऐहिक लेल बैंक क' शादी केँ कार्ड देखाबे परतैन्ह। धोखाधड़ी करबा पर कारवाई सेहो होयत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने