नोटबंदी केँ पूर्ण समर्थन, बेनामी संपत्ति पर सेहो होबाक चाहि कार्रवाई : नीतीश कुमार

मधुबनी। 17 नवम्बर। नोटबंदी पर राजनीतिक दल सभक राय अलग -अलग तेँ छैहे, किछ गठबंधन सहयोगि सभक रुख सेहो एक दोहर केर  खिलाफ अछि। लालू प्रसाद यादव केँ आरजेडी जता नोटबंदी केर विरोध क' रहल अछि, ओतहि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ जेडीयू खुलीकेँ सरकारक एहि डेगक संग अछि। नीतीश कुमार 500, 1000 टक्का केँ नोट बंद करबाक केंद्र सरकार केँ फैसलाक एक बेर फेर पुरजोर समर्थन केलन्हि अछि।

मधुबनी म' चेतना सभा म' नीतीश कुमार कहला कि  हम नोटबंदीक समर्थक छी, एहि तरहक डेग उठेला सँ दुइ नंबरक जाली नोट अपने आप समाप्त भ' जायत संगहि दुइ नम्बर के कारोबार करि कालाधन पैदा करै बला सभक कालाधन बर्बाद होयत। नीतीश कुमार कहला कि ओ पूरा तरहे  नोटबंदी के पक्ष म' छैथ। नीतीश कुमार केंद्र सँ मांग केलन्हि कि बेनामी संपत्ति पर सेहो नजरि राखल जाय। केंद्र सरकार क' बेनामी संपत्ति पर सेहो  जल्द सँ जल्द हमला करबाक चाहि।

नोटबंदी पर एनडीए के सहयोगि सभक सेहो अलग - अलग राय देखार द' रहल अछि। शिवसेना आर शिरोमणि अकाली दल खुलीकेँ विरोध क' रहल अछि। दुनु पार्टियां तेँ बुधवार दिन ममता बनर्जी केर अगुवाई म' विपक्ष के विरोध मार्च म' सेहो हिस्सा लेलन्हि। ओनाकि पिछले किछ समय से आरजेडी आर जेडीयू के बीच दरार बढ़बाक सेहो चर्चा अछि। आरजेडी के पूर्व सांसद शहाबुद्दीन जहिया से नीतीश कुमार पर टिप्पणी केलन्हि, तहिये से दुनु दलक बीच दरार बढ़बाक चर्चा अछि भी। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने