जारी रहत नोटबंदीक' फैसला - सरकार सs जवाब माँगलक सुप्रीम कोर्ट


नई दिल्ली।  15 नवम्बर।  नोटबंदी के फैसला पर रोक लगबा सs सुप्रीम कोर्ट मना क़ देलक। 500 आर 1000 के नोट पर रोक लगाबा के सरकार के फैसला पर स्टे के लेल सुप्रीम कोर्ट में दायर जनहित याचिका पर सुनवाई करैत अदालत एही पर रोक लगबे सs इनकार करि देलक। हालांकि अदालत , लोग के असुविधा दूर करे के लेल इंतजाम पर सरकार सs जवाब माँगलक। एही मामला के अगला सुनवाई 25 नवंबर कs होएत।


एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ