अप्पन खाता म' दोसरक पाई जमा करब पड़त महंगा : वित्त मंत्रालय

नई दिल्ली। 18 नवम्बर। नोटबंदी के बाद अप्पन काला धन क' सफेद करबाक लेल किछ लोग दोसरक बैंक खाता केर इस्तेमाल क' रहल छैथ।  लुभावना ऑफर के झांसा म' आबि बहुत लोग दोसरक पाई अप्पन खाता म' जमा क' रहल छैथ। सरकार एहेन लोग सभक लेल चेतावनी जारी करि कहने अछि कि एहि तरहक गतिविधि म' शामिल नहि होय वार्ना महंगा पड़ी सकैत अछि। दोषी पायल गेला पर इनकम टैक्स कानून के तहत दुनु पक्ष केर खिलाफ सख्त कार्रवाई कायल जायत।

फाइनैंस मिनिस्ट्री दिस सँ जारी बयान म' कहल गेल अछि कि सरकार पहिने घोषणा क' चुकल अछि कि कामगार, कारीगर या गृहणी दिस सँ 2.5 लाख टक्का तक केँ राशि बैंक खाता म' जमा करेला पर इनकम टैक्स डिपार्टमेंट पूछताछ नहि करत। एहि बीच रिपोर्ट भेट रहल अछि कि किछ लोग अप्पन काला धन क' नबका टक्का म' बदलबाक लेल दोसर लोग केर   बैंक खाता केर इस्तेमाल क' रहल छैथ। बदला म' हुनका टक्का देल जे रहल अछि। ऐना जनधन खाता के जरिया सेहो भ' रहल अछि।


मिनिस्ट्री एहि तरहक गतिविधि क' गलत बतबैत कहने अछि की यदि यदि पता चलल जे जमा धनराशि खाता धारक केँ नहि अछि तेँ इनकम टैक्स कानून के तहत कार्रवाई होयत। काला धन क' मानवता केर खिलाफ अपराध बतबैत कहल गेल अछि कि सभ लोग सरकार केर सहयोग करि। जाधरि जनता सहयोग नहि करत, काला धन क' खत्म करबाक अभियान सफल नहि भ' सकत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ