आय शनिवार दिन बैंक सिर्फ अप्पन ग्राहक क' देत सेवा, बुजुर्ग सभ क' छूट

नई दिल्ली। 19 नवम्बर। आय शनिवार दिन बैंक सिर्फ अप्पन ग्राहक क' सेवा देत आर दोसर बैंक सभक ग्राहक 500, 1000 टक्का के पुरनका नोट आय नहि बदली सकता। इंडियन बैंक्स असोसिएशन के चेयरमैन राजीव ऋषि कहला कि शनिवार दिन बैंक अप्पन पेंडिंग काज निपटायट, एहिलेल दोसर बैंक के ग्राहक सभ का नोट बदलबाक सुविधा नहि भेटत। हालांकि वरिष्ठ नागरिक सभ क' एहि म' छूट देल गेल अछि। वरिष्ठ नागरिक आइयो कुनु भी बैंक म' अप्पन पुरनका नोट बदैल सकता।

गौरतलब अछि कि सरकार पुरनका नोट बदलबाक सीमा घटा क' 2 हजार क' देना अछि। 8 नवम्बर क' जखन नोटबंदी केर ऐलान भेल छल तखन  एक्सचेंज लिमिट 4 हजार टक्का छल, जाहि क' बाद म' 4,500 कायल गेल छल। लोग के बेर - बेर पुरनका नोट बदलबाक शिकायत के बाद सरकार एक्सचेंज करबै बला केँ आँगुर पर स्याही लगेबाक फैसला करैत एक्सचेंज लिमिट 2 हजार क' देलन्हि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ