विद्यापति मिथिला विकास समिति 18 दिसम्बर क़ मनायत विद्यापति पर्व समारोह

दिल्ली।  20 दिसम्बर। देश क राजधानी दिल्ली में मिथिला के नाम सs प्रसिद्ध विद्यापति नगर में 18 दिसम्बर 2016 के विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मनाओल जैत एही के जानकारी आयोजनकर्ता श्री प्रणव कुमार झा के द्वारा देल गेल।  प्रणव कहल कि मैथिल कलाकार के आलावा राजनीती क्षेत्रक' हस्ती सब के सेहो निमंत्रण देल गेल अछि। कार्यक्रम क' मुख्य अतिथि केंद्रीय मंत्री श्री गिरिराज सिंह ,के आलावा शकील अहमद , महाबल मिश्रा ,  प्रभात झा , मदन मोहन झा आर विनोद नारायण झा रहता।  श्री झा कहला जे मिथिला के राजनीती में अहम योगदान देनिहार राजनेता के सेहो हकार देल गेल अछि। कार्यक्रम क' विशिष्ठ अतिथि के रूप में मिथिला सs श्री कृपानन्द झा "आजाद" , भावना झा , सुधांशु शेखर  आ अन्य बहुत राश अतिथि के मंच सs समानित कैल जाइत। दर्शकक' मनोरंजनक'  लेल संस्कृति कार्यक्रमक प्रस्तुति के लेल श्रीमती अंजू झा ( रंगीली भौजी ) , श्री माधव राइ , श्री प्रेमसागर झा , अंकिता झा , श्री  धनिक लाल मंडल , श्री  धीरज मिश्रा आर मंजरी झा संगैह मंच संचालन कs  लेल श्री गंगाराम झा आर श्री सुनील मिश्रा "लड्डू" के मँगाओल गेल अछि।   

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ