
पटना। 30 नवम्बर। 8 नवम्बर केँ बाद सँ नोटबंदी केँ लगातार विरोध क' रहल लालू यादव कैल्ह मंगलवार क' अप्पन रुख बदललन्हि। लालू यादव नोटबंदी केर समर्थन करैत बाजला कि हुनक विरोध सिर्फ एहि केँ लागू करबा म' भेल अव्यवस्था आर बदइंतजामी लेल छल, नहि कि ऐहिक पाछा कुनु नुकायल मकसद छल। नोटबंदी केर समर्थन करैत आब लालू यादव अप्पन गठबंधन सरकार केँ सहयोगी आर बिहार केँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संग ठाढ़ भ' गेल छैथ। सभ विपक्षी दल म' एखन धरी नीतीश असगरे छला, जे खुलिकें नहि सिर्फ नोटबंदी केर समर्थन केलन्हि, बल्कि एहि डेग लेल मोदी सरकार केर तारीफ सेहो केलन्हि। एतबे नहि, ई नीतीश केर असर छल कि हुनकर पार्टी जनता दल यूनाइटेड (JDU) विपक्ष द्वारा बजाओल गेल 'जन आक्रोश दिवस' सँ सेहो दूर रहल।
नीतीश द्वारा नोटबंदी केँ फैसलाक संग ठाढ़ होयबा क' बिहार केँ राजनीति म' होमै बला संभावित बदलाव केर संकेत मानल जायत छल। अनुमान लगाओल जे रहल छल कि नीतीश BJP केँ करीब भ' रहल छल। एहि नव घटनाक्रम आर कयासबाजि केँ बीच लालू यादव केर पत्नी आर बिहार केँ पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी कैल्ह मंगलवार दिन नीतीश कुमार पर काफी तल्ख बयान सेहो देलन्हि। हालांकि बाद म' ओ अप्पन बयान क' मजाक बतौलन्हि। एहि सभक बीच नीतीश कुमार कैल्ह मंगलवार क' लालू केँ घर पहुंचला। ऐहिक बाद लालू यादव नीतीश कुमार केर मौजूदगी म' अप्पन पार्टी राष्ट्रीय जनता दल (RJD) केँ विधायक सभ सँ कहलन्हि कि ओ नोटबंदी केर समर्थन करैत छैथ, लेकिन केंद्र द्वारा ऐहिकें लागू करबा म' भेल अव्यवस्था आर अपर्याप्त तैयारि केर विरोध म' छैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।