युवा अपन सांस्कृतिक धरोहर सs राज्य व देशक नाम उज्ज्वल करैथ : डीएम
मधुबनी। 30 नवम्बर। जिला युवा महोत्सव मंगल दिन वाट्सन उच्च विद्यालय कs आॅडिटोरियम में मनायल गेल। युवा महोत्सवक उद्घाटन जिला पदाधिकारी गिरिवर दयाल सिंह दीप प्रज्वलित करि कैला। एही मौका पर डीएम कहला कि युवा के पढाईक संग - संग खेलकूद, संगीत, नृत्य एवं अन्य विद्या में सेहो अभिरुचि राखक' चाहि.एही सs छात्र-छात्राक' प्रतिभाक' विकास होयत अछि। युवा अपन सांस्कृतिक धरोहरक' रक्षा के लेल लोक गीत, लोक गाथा, सुगम संगीत, शास्त्रीय नृत्य सीख कर जिला, राज्य व देशक नाम उज्ज्वल करैथ। डीएम युवा महोत्सव में भाग लेबा वाला कलाकारक' उज्वल भविष्यक' कामना कैला। कलाकार अपन कला प्रदर्शन सs निर्णायक मंडली के प्रभावित करबाक कोशिश कैला। एही दौरान विभिन्न विधा में प्रतिभागि सभ में प्रथम स्थान पाब के लेल कड़ा संघर्ष करे पड़ल ओतैह समूह लोक गीत में एक मात्र प्रतिभागी अरविंद कुमार के कमजोर प्रदर्शनक' बादो राज्य स्तर पर प्रदर्शन करबाक मौका भेटल। महोत्सवक' शुरुआत शिवगंगा बालिका उच्च विद्यालयक' शिक्षिका मधु कुमारी द्वारा भगवती बंदना जय जय भैरवि असुर भयावनि सs भेल . कार्यक्रम में 15 सs 35 बरखक प्रतिभागि 8 विद्या में अपन - अपन जौहरक' प्रदर्शन ;कैला। कार्यक्रम में शास्त्रीय गायन, वादन, समुह लोक गीत, शास्त्रीय नृत्य, समूह लोक नृत्य, चाक्षुष कला वक्तृता, एकांकी नाट में कलाकार अपन विद्याक' प्रदर्शन कैला।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।