सरकारी पोखैर लग सँ अतिक्रमण हटाओल गेल

सहरसा। 04 नवम्बर। प्रखंड क्षेत्र के झिटकी गाम स्थित सरकारी पोखैर पर अतिक्रमण हटा क' छठ व्रति सभक सुविधा लेल साफ-सफाई कराओल गेल। अंचलाधिकारी रमण प्रसाद वर्मा व पुअनि रामईकबाल पासवान केर  मौजूदगी म' घाट सँ अतिक्रमण हटाओल गेल। एहि दौरान खूब विवाद भेल। अंचलाधिकारी द्वारा पोखैर क' सरकारी बताओल जे रहल छल जखनकि ओहिठाम बसल लोग जमीन क' निजी बतेलन्हि।

झिटकी गाम  निवासी राजाराम मुखिया, शंभू मुखिया, डमरू मुखिया, शत्रुघ्न मुखिया सभक कहब छैन्ह कि पोखैर सरकारी अछि जाहिपर पिछ्ला कैको बरख सँ लोग छठ पूजा करैत आबि रहल अछि, मुदा पिछ्ला किछ बरख सँ गामक किछ लोग द्वारा पोखरिक महार पर घर बना अतिक्रमण कायल गेल अछि। ओतहि कुमोद मुखिया, श्रीमान मुखिया सहित बहुत रास लोगक कहब छैन्ह कि ओ सभ उक्त जमीन बनगाँव निवासी तारा झा सँ किनने छैथ। जाहिक लगान रसीद ओ सभ 2013 तक कटेना छैथ। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ