ठाकुरवाड़ी म' आयल नाग केर दर्शन लेल उमड़ल भीड़

पटना। 04 नवम्बर। पटना जिला केँ खुसरूपुर प्रखंडक एक ठाकुरवाड़ी म' मूर्ति लग बैसल नाग कुतूहल केर विषय बैन गेल अछि। नाग केर दर्शन आर पूजा अर्चना लेल लोगक भीड़ उमैड़ रहल अछि। खुसरूपुर प्रखंड अंतर्गत छोटा हसनपुर गामक ठाकुरवाड़ी म' बैसल नाग लोग सभक लेल कुतूहल केँ केंद्र बनल अछि।

दरअसल कैल्ह गुरुवार के सांझ मंदिर केर एक मूर्ति लग नाग फन फैलेना बैसल छल। ठाकुरवाड़ी म' मूर्ति लग नाग के बैसबाक सूचना पसरते ठाकुरवाड़ी म' लोग सभक उमड़े लागल। आय शुक्रवार दिन बहुत रास संख्या म' लोग नाग केर दर्शन लेल एकत्रित भेला। नाग क पियबाक लेल  दूध परोसल जे रहल अछि आर आस्था म' डूबल लोग नागक दर्शन करि टक्का पैसा सेहो चढ़ा रहल छैथ। स्थानीय लोग एहिकेँ ईश्वर केर कृपा मानी  दर्शन पूजन लेल एकत्रित भ' रहल छैथ।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने