बिहार भाजपा सs लक दिल्ली तक नेत्रत्व परिवर्तन


दिल्ली।  30 नवम्बर। दिल्ली बीजेपी में पैग बदलाव भेल पार्टी अध्यक्ष अमित शाह  सतीश पाध्याय कs जगह उत्तर-पूर्वी दिल्ली सs सांसद मनोज तिवारी के दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष बना देला। दिल्ली के संगैह बिहार बीजेपी कs प्रदेश अध्यक्ष सेहो बदैल देल गेला। 
बिहार में नित्यानंद राय के बीजेपी कs जिम्मेदारी सौंपल गेला।  50 साल के नित्यांनद राय उजियारपुर सs लोकसभा सांसद छैथ आर ओ मंगल पांडेक' जगह लेता। नित्यानंद राय असल में यादव छैथ एही लेल बीजेपी क' नजरि हुनका जरिए लालू प्रसाद यादव कs वोट बैंक में सेंध लगएबाक अछि। 
दिल्ली में पार्टी मनो‍ज तिवारी के कमान दक साफ कै देलक कि हुनकर नजर पूर्वांचल वोट पर अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने