भागलपुर। 19 नवम्बर। नोटबंदी केँ फैसलाक बाद पूरा देश म' चैल रहल सौ - सौ टक्का के किल्लत क' देखैत 85 वर्षीय जगत सिंह जैन पंजाब एण्ड सिंध बैंक म' 100 - 100 टक्का के अस्सी हजारक नोट जमा केलन्हि। स्थानीय बाजार म' एक दोकान के मालिक श्री जैन लोग सभक समस्या सँ एतेक विचलित भेला कि हुनका लग जतेक 100 - 100 नोट छलैन्ह ल' बैंक मैनेजर लग पहुँच अप्पन खाता म' जमा करेला ताकि लोग सभक मदद भ' सकैन।
श्री जैन बैंक प्रबंधक क' कहला कि हुनकर एहि पैसा सँ कम सँ कम चालीस लोगोक सहायता हेतैन्ह। बुजुर्ग के एहि जज्बा क' देखैत बैंक कर्मचारी शुरू म' हुनका ऐना करबा सँ मना केलन्हि आर कहलन्हि कि ई पैसा एहि संकट के दौर म' हुनका काज हेतैन्ह मुदा ओ खाता म' जमा करा देलाह। श्री जैन केँ सहृदयता क' देखैत बैंक प्रबंधक बाद म' हुनका घर पहुँच धन्यवाद देलन्हि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।